नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर
नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर नैया पार लगाबु यौ-4
नहि हम जानल जप तप पूजा नहि जानल हम सेवा
हर हर -2
मुख सँ नाम अहाँ के नैऽ लेलौं-2 नेत्र देखल नैऽ देवा
नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर•••••
बालापन तरूणापन बितल अंत समय आब आयल
हर हर -2
झटपट प्राण करै एही तन में-2 तन मन सँ छी घायल नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर•••••
भव सागर के बीच डुबल छी नहीं अछि सँग में खेबा
हर हर -2
आश निराश भेल छी हम सब-2 ताकु एक बेर देबा
नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर•••••
महावीर कर जोरी पुकारै भ्रवर रुप भय गेला
हर हर -2
एहि संसार असार जगत मे-2 रौशन भेल अकेला
नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर•••••
नैया पार लगाबु यौ बाबा देवकुली के द्रव्येश्वर नैया पार लगाबु यौ-4
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें