गुरुवार, 14 अप्रैल 2016

सबके सुधी अहाँ लै छी जगदम्बे

सबके सुधी अहाँ लै छी हे जगदम्बे
हमरा किया विसरै छी हे -2

छी हम पुत्र अहींकेर जननी -2
से तऽ  अहाँ जनै छी हे -2
एहन निष्ठुर किए अहाँ भेलहुँ कनिको दृष्टि नहि दै छी हे-2
सभकेर सुधि अहाँ लै छी जगदम्बे
हमरा किए --------------

छन छन पल पल ध्यान करै छी -2
नाम अहींकेर जपै छी हे -2
रैनि-दिवस हम ठाढ़ रहै छी दर्शन बिनु तरसै छी हे -2
सभकेर सुधि अहाँ लै छी जगदम्बे
हमरा किया विसरै छी हे

छी जगदम्बा जग अवलम्बा -2
तारिणि तरणि बनै छी हे  -2
हमरा बेरि किए ने तकै छी हे अम्बे पापी जानि ठेलै छी हे -2
सभकेर सुधि अहाँ लै छी जगदम्बे
हमरा किया विसरै छी हे
सभकेर सुधि अहाँ लै छी जगदम्बे

कोई टिप्पणी नहीं: