शनिवार, 9 अप्रैल 2016

भगवती गीत

भगवती गीत

मैया कतऽ सुतल छी कोन सघन वन झाड़ी मे
हम छी दुखक पेटारी मे

हम छी बल बुद्धि विद्या हीन,हमरा सनक केय नही दीन -2
मैया किया फसेलौं हमरा ऐ दुनियां दारी मे
हम छी दुखक पेटारी मे
मैया कतऽ सुतल छी कोन सघन वन झाड़ी मे
हम छी दुखक पेटारी मे

चरना सन बहे आँखिक नोर, आहाँ केहन छी बनल कठोर -2
मां राजेशकऽ हिस्सा रखलहुँ बंद बखारी मे
हम छी दुखक पेटारी मे

कोई टिप्पणी नहीं: